ललित दिवस पर सम्मानति हेताह मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

ललित दिवस पर सम्मानति हेताह मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा

ललित दिवस पर सम्मानति हेताह मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा


अपन मिथिला/ देशक पूर्व रेल मंत्री आ मिथिलाक सपूत स्व. ललित नारायण मिश्रक जयंती पर देशक राजधानी दिल्लीमे मिथिलालोक फाउंडेशक तत्वावधानमे आयोजित ललित दिवस कार्यक्रममे ललित सम्मान सं सम्मानित हेताह मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा। इ पहिल बेर अछि जखन राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र दिल्लीमे कोनो संगठन एतेक व्यापक रूपें ललित बाबूक जयंती मनेवाक लेल आगू आएल हो। 
2 फरवरी कऽ स्व. ललित नारायण मिश्रक जन्म दिवस पर दिल्लीक विनोद नगर (पश्चिम)मे एकटा भव्य कार्यक्रममे ललित बाबूकें स्मरण कैल जाएत। कार्यक्रममे मिथिला एवं बिहारक विभिन्न विधाक व्यक्तिगण उपस्थित रहता आ संगहि संग समाजक विभिन्न क्षेत्रमे योगदान देनिहार व्यक्ति लोकनिकें ललित सम्मान सं सम्मानित सेहो कैल जेतनि। 
मिथिलालोक फाउंडेशनक चेयरमैन आ देशक जानल-मानल शिक्षाविद डाॅ. बीरबल झा कहला जे ललित दिवस पर मिथिला मिररक संपादकक संग-संग आओरो बहुत व्यक्तित्वकें संस्था सम्मानति करत। डाॅ. झा कहलाजे मिथिला मिररक संपादक ललित नारायण झा मृत पड़ल मैथिली मीडियाकें प्रायः ओहि मुकाम पर आनि देलाह अछि जाहिठाम सं युवा आब मैथिली पत्रकारितामे ऐवाब दिस सोचि रहला अछि, संगहि आब मैथिली मीडिया सेहो व्यवसायिकताक बाट जोहवाक लेल आगू बढ़ि चुकल अछि। इ ललितक मेहनत अछि जाहिकें बल पर आब मैथिलीमे आन-आन चैनल यूट्यूब पर सक्रिय भए रहला अछि। 
संस्थाक प्रति अभार प्रकट करैत मिथिला मिररक संपादक कहला जे शायद ललित बाबूक नामकें सब सं बेसी मिथिलामे ओहै जीवैत छथि कारण हुनका नाम आ हुनक शैक्षणिक प्रमाणपत्र तक पर ललित बाबू इंकित छथि। संगहि संपादक कहलाजे हम केन्द्र एवं राज्य सरकारक प्रतिनिधि लोकनिक लग अहि बातक मांग राखब जे ललित बाबूक हत्याक पाछाक जे कारण अछि ओकरा सार्वजनिक कैल जाए। ललित झाकें मानी त ललित बाबू मिथिलाक आवाज रहितो नहि त अपना परिवार आ नहि समाजमे ओ स्थान पाबि रहला अछि जे हुनका भेटवाक चाहि छन्हि।


💝💝💝💝💝💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💟❤❤❤❤💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟

कोई टिप्पणी नहीं