नेने हमर दुलारकेँ हेतै
नेने हमर दुलारकेँ हेतै
✍👤मैथिल प्रशान्त
किछु दोख लोहाकेँ किछु लोहारकेँ हेतै
किछु गलती हमरो किछु संसारकेँ हेतै
कखनो कमोट कखनो छोपि देलक घेंट
सभटा सतत प्रक्रिया हमर सुधारकेँ हेतै
डेग जेम्हर बढेलियै हम नव बाट खुजलै
कहू सोचू कोना लिखलाहा कपारकेँ हेतै
काजुल हाथ पसरल अंत्योदयकेँ पाँतिमे
कोठी भरल बेसाहसँ की खेत पथारेँ हेतै
फेर बिहुँसि उठलैए हमर साॅराक तुलसी
अचकेमे इयादक' नेने हमर दुलारकेँ हेतै
ऐंठक' चलैत छै मूड़ी झूकाक' चल' वला
पक्का जेबीमे नवका नोट दू हजारकेँ हेतै
~ > ✍👤मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷
❤
✍👤मैथिल प्रशान्त
किछु दोख लोहाकेँ किछु लोहारकेँ हेतै
किछु गलती हमरो किछु संसारकेँ हेतै
कखनो कमोट कखनो छोपि देलक घेंट
सभटा सतत प्रक्रिया हमर सुधारकेँ हेतै
डेग जेम्हर बढेलियै हम नव बाट खुजलै
कहू सोचू कोना लिखलाहा कपारकेँ हेतै
काजुल हाथ पसरल अंत्योदयकेँ पाँतिमे
कोठी भरल बेसाहसँ की खेत पथारेँ हेतै
फेर बिहुँसि उठलैए हमर साॅराक तुलसी
अचकेमे इयादक' नेने हमर दुलारकेँ हेतै
ऐंठक' चलैत छै मूड़ी झूकाक' चल' वला
पक्का जेबीमे नवका नोट दू हजारकेँ हेतै
~ > ✍👤मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷
❤

कोई टिप्पणी नहीं