मीना आ सिमा विचक सम्वाद
✍👩Neha Vats
सीमा ः आंय गै हम कहिया तोरा गलत बुझलियौ से तु एना बजै छी हि ??
मीना ः से त कहियो नहि मुदा बात ओहने छैक ताहिसँ कहलियौ ।
सीमा ः अच्छा आब कहबो करै यार बड्ड भाषण छोडलाह तु
मीना ः कहएसँ पहिने हमर एकटा शर्त छौ तोरासँ कहै मानबही ??
सीमा ः आंय गै तोरा विश्वास छौ कि एतेक मात्र कहि दे तखन किछु नहि कहबौ ।
मीना ः से तऽ बहुत विश्वास अछि ।
सीमा ः आब कहियो दे
मीना ः गै हम जाहि अफिसमे का....छोडि दही नहि कहबौ,
सीमा ः का....??? गै आगु कहै न कि भेलहुँ ???
मीना ः छोडि दही सीमा किछु नहि छलै ।
सीमा ः भाक्क बड्ड जमेले तुहु , जाइत छी नहि कहबे तऽ बुझि गेलियौ तोरा कतेक विश्वास छौक हमरापर । हेतै बाइ
मीना ः सरी सीमा हम पुरा डिटेलमे कहै छियौ । हम जाहि अफिसमे काज करै छी ने सीमा ओहिमे जे म्यानेजर छैक ने ओ हमर हरदम अहाँ एतेक सुन्दर छी देखएमे मेकअप किएक नहि करैत छी लिपस्टिक किएक नहि करैत छी कहैत रहैया ।
सीमा ः ( मजाके मुडमे) हेहेहे ठिके तऽ कहैत रहै छौ छे हे सुन्दर तऽ ।
मीना ः (चिन्तित मुद्रामे) तोरा मजाक लगै छौ ने सीमा, मुदा हमरा बहुत खराब लगैत रहैया जखन ओ म्यानेजर हमरा एहि सभके सम्बन्धमे किछु कहैया तऽ ।
सीमा ः अरे सुन्दर छे ताहि ने कहैत हेतौ गै, यदी नहि नीक लगै छौ तोरा तऽ कहि किए नहि दैत छी ही तु जे सर हमरा ई सभ जे अहाँ कहै छी से नहि नीक लगैया तँए नहि कहल करु ई सभ कहल करु कहि ।
मीना ः गै हजारो बेर कहि चुकल हेबै मुदा ओ हमर बातके खासे कोनो मतलब नहि देखबैत छथि तऽ हम कि करु ।
सीमा ः गै ई बात तऽ हमरो समझसँ बाहरके छौ हम कि कहियौ
(दुनू सखी असमन्जसताक बीचमे घेराएल रही गेल जे आखिरकार ओ म्यानेजर मीनाके मना कएलाक बाबजुदो अपन आदत किएक नहि सुधारए चाहलक)
लेखिका✍👩Neha Vats
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
लेखिका✍👩Neha Vats
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷
🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं