प्रेमके स्वीकार करू सजनी
प्रेमके स्वीकार करू सजनी
✍👤सुमित मिश्र "गुंजन"
छै प्रेमक मास प्रेमके स्वीकार करू सजनी
चलबू प्रीतक वाण हिया पार करु सजनी
रूप मारय हिलोर छवि जगभग करय
हम प्रेमी कोना जीयब विचार करु सजनी
अहीं देह अहीं श्वाँस अहीं छी हमर परान
आब स्वयंमे समेट एकाकार करू सजनी
देखु सुरभित वसंतमे सिहकय बसात
जे राखल अछि मोनमे देखार करु सजनी
देखि फूलक जुआनी 'सुमित' मातल भ्रमर
मारि मुसकी चौवनिया पथार करू सजनी
✍👤सुमित मिश्र 'गुंजन'
00918434810179
💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟
💚💚💚💚💚💝💝❤❤
❤❤💝
✍👤सुमित मिश्र "गुंजन"
छै प्रेमक मास प्रेमके स्वीकार करू सजनी
चलबू प्रीतक वाण हिया पार करु सजनी
रूप मारय हिलोर छवि जगभग करय
हम प्रेमी कोना जीयब विचार करु सजनी
अहीं देह अहीं श्वाँस अहीं छी हमर परान
आब स्वयंमे समेट एकाकार करू सजनी
देखु सुरभित वसंतमे सिहकय बसात
जे राखल अछि मोनमे देखार करु सजनी
देखि फूलक जुआनी 'सुमित' मातल भ्रमर
मारि मुसकी चौवनिया पथार करू सजनी
✍👤सुमित मिश्र 'गुंजन'
00918434810179
💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓💓
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟💟
💚💚💚💚💚💝💝❤❤
❤❤💝


कोई टिप्पणी नहीं