लण्डनमे आतंकारी आक्रमण , पाँच गोटेके मौत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

लण्डनमे आतंकारी आक्रमण , पाँच गोटेके मौत

लण्डनमे आतंकारी आक्रमण , पाँच गोटेके मौत



 अपन मिथिला/ अशोक कुमार सहनी - दोहा क़तार /चैत–१० गते,बेलायतके राजधानी लण्डनमे आतंककारी आक्रमण भेलअछि । वेष्ट मिनिस्टरमे रहल संसद भवन समिप भेल आक्रमणमे परि प्रहरी अधिकारी सहित पाँच गोटेके जान गेलअछि ।
जान जायबलासभमे एक महिला सहित तीन गोटे सर्वसाधारण रहलअछि । अहिना प्रहरीके गोली लागिकऽ आक्रमणकारीके सेहो जान गेल बिबिसी जनौने अछि । घटनामे कम्तिमे ४० गोटे घाहिल भेलअछि । कारमे आएल आक्रमणकारीसभ वेष्ट मिनिस्टर ब्रिजमे पैदलयात्रीके ठक्कर देने आ ओकरबाद संसद भवन नजदिक जाऽक ओत रहल प्रहरी अधिकारीके चक्कुसँ आक्रमण कएने सरकारी अधिकारीसभ बतौनेअछि । ओकरबाद प्रहरी आक्रमणकारीके गोली प्रहार कएनेअछि । 
घाहिल होबबलामे तीन गोटे प्रहरी अधिकारी सेहो रहल आ दु गोटेके अवस्था गम्भीर रहल लण्डन महानगरीय प्रहरीके कार्यवाहक उपायुक्त मार्क रोली बतौलनिअछि । आक्रमणकारीके परिचय अखनधरि खुलौने नै अछि । प्रधानमन्त्री थेरेसा मेले आक्रमणके निन्दा कएलनिअछि । राजधानीके मुख्य भागमे कएने आक्रमण बेलायती मान्यताके टुक्र्याबके उद्देश्यसँ भेल आ अपनेसभ ओयके कहियो सफल होबऽ नै देबके प्रधानमन्त्री मेले बतौलनिअछि । लण्डनमे अखन सुरक्षा व्यवस्था बेसी कडा बनाओलगेलअछि तँ आतंककारी विरुद्ध कारवाही अभियान चलिरहलअछि ।


🌷🌷🌷🌷🌷💓💚🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷💚🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷

कोई टिप्पणी नहीं