धनुष दहेजक तोड़ऽ लेल आबै छथि ने राम किइए - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

धनुष दहेजक तोड़ऽ लेल आबै छथि ने राम किइए

धनुष दहेजक तोड़ऽ लेल आबै छथि ने राम किइए ।।



✍👤मैथिल प्रशान्त 

सीता सन बेटी छै जकरा ,
देतै तखन दाम किइए ।
धनुष दहेजक तोड़ऽ लेल,
आबै छथि ने राम किइए ।।

ई प्रथा दहेजक, छै व्याथा बनल ।
नोरे बेटीक, किइए कथा बनल ।।
छै पाएर जकर लक्ष्मी कहबै -------
भाग तकर छै बाम किइए ।

नारी पूजाक सभ जाप कऽरी ।
कोखिए मारि फेर पाप कऽरी ।।
एकछाहा बेटा सँ नञि सृष्टि चलत,
हेतै तखन सून्न ने गाम किइए ।

गीतकार- मैथिल प्रशान्त

कोई टिप्पणी नहीं