हम लिखैत छी भोगल मीता (गजल) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

हम लिखैत छी भोगल मीता (गजल)

हम लिखैत छी भोगल मीता 




✍👤दीप नारायण विद्यार्थी

अहाँ लिखैत छी गीतल मीता
हम लिखैत छी भोगल मीता ।

जिनगीक हाल की कहू स्वयं
सूखल अछि की भिजल मीता ।

हमरा त$ किछु याद नै अछि
आँखि मुदा अछि तीतल मीता ।

बड्ड देखलौं दुनियाँ हमहूँ
प्रेम नै सुगम शीतल मीता ।

भूख प्यास , दुख - दर्द दीपक
हमर भाग्यक लिखल मीता ।

   ( दीपनारायण विद्यार्थीक गजल संग्रह साहित्य अकादेमी युवा पुरस्कार 2016 स$ सम्मानित "" जे कहि नञि सकलहुँ""" स$ )
•••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••••

कवि - दिपनारायण विद्यार्थी जी













🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🌻🎤🌻🌻🎼🎼🎼
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💙💙💙💙💙💙💙🌻💙💙💙💙💙💙

कोई टिप्पणी नहीं