बिनु गाछी कोइली गाओत कोना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बिनु गाछी कोइली गाओत कोना

बिनु गाछी कोइली गाओत कोना







✍👤मैथिल प्रशान्त 



आगि द्वेशक मिझाओत  कोना 
तरुआरिसँ  फरिछाओत  कोना 

हम त' साराक  तुलसी छी मीत 
दीप नेहक क्यो जराओत कोना 

पाथरक घर छै पाथरक  करेजा 
भाव  सून्न  नोर  बहाओत कोना 

साँसक चलब की जीवन थिकैक 
संग अहाँ छी मृत्यु आओत कोना 

मानि मोनेमे  लेलहुँ  आयल वसंत 
बिनु गाछी  कोइली गाओत कोना 



✍👤मैथिल प्रशान्त 
  दुर्गौली, बेनीपट्टी ।


लेखक -  कवि-मैथिल प्रशान्त जी









🚩🚩🚩🚩🚩🚩🌷🚩🚩🚩🚩🚩🚩🚩🚩
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💗💗💗💗💗💗🌷💗💗💗💗💗💗💗💗

कोई टिप्पणी नहीं