साहित्यिक चौपाड़िक नवम् बैसार आय दरभंगामें सम्पन भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

साहित्यिक चौपाड़िक नवम् बैसार आय दरभंगामें सम्पन भेल

 साहित्यिक चौपाड़िक नवम्  बैसार आय दरभंगामें सम्पन भेल

✍👤सुमित मिश्र "गुंजन"


अपन मिथिला , प्रत्येक मासक भाँति अहू बेर अपन निरंतरता आ सृजनशीलता के गतिमय राखति दरिभंगा के सेंट्रल लाइब्रेरी परिसर मे बाबा नागार्जुनक प्रतिमाक समक्ष आय दिनांक 05/03/2017 क' साहित्यिक चौपाड़िक नवम् आयोजन कयल गेल। युवा कवि सुमित मिश्र 'गुंजन' के सञ्चालन मे संपन्न भेल इ आयोजन उपस्थितिक दृष्टिकोण सँ ऐतिहासिक रहल जाहि मे कुल 17 गोटेक सहभागिता रहलनि। आजुक आयोजन मे साहित्यक भिन्न-भिन्न विधा यथा-गजल, गीत, मुक्तक, आलेख, होरिया, लघुकथा आदि पर कवि लोकनि अपन अपन रचना परसलनि। कृष्ण कुणाल झा मैथिली मे लिखल अपन पहिल रचना के कविता रुपे सार्वजनिक केलनि। ओतहि सूरज भारती जी अपन मनोरंजक गीत ल उपस्थित भेला। 

प्रियदर्शन झा अपन दू टा रचना सँ क्रांतिक आह्वान करति श्रोता सभक ध्यान आकृष्ट केलनि। रूढ़िवादिता पर चोट करति सुमित झा केर लघुकथा सेहो पसिन कयल गेलनि त सुमित मिश्र 'गुंजन' होरिक रंग सँ लेप्टल अपन दू टा ग़ज़ल सुना सभक वाहवाही लुटलनि। रजनीश प्रियदर्शी अपन चिर-परिचित अंदाजमे दू टा कविता सुना सभके मोहि लेलनि।अखिलेश कुमार झा पलायन पर लिखल अपन एकटा आलेख आ एकटा दोसर कविता के पाठ केलनि। 

दयाशंकर झा मिथिलांचाली के अभिनव कविता सेहो खूब पसीन कयल गेल। एकर अलावा श्रोता सभ अपन अपन अमूल्य विचार आ निष्पक्ष प्रतिक्रिया सेहो देलनि। साहित्यिक चौपाड़ि, दरभंगा के दिस सँ एहि आयोजन के सफल बनेबा मे अपन अपन समयदान केनिहार समस्त लोकनि के हार्दिक धन्यवाद ज्ञापित क' रहल छी।

‌जय मिथिला! जय मैथिली!

News credit- ✍👤Sumeet Jha





🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌷🌻🌷🌷🌷🌷🌷
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💙💙💙💙💙💙💙💙💙💙💙💙💚

कोई टिप्पणी नहीं