"५० दिन सँ लहान पुलिश के कैदमें रहल डा. सिके राउत आ ओकर समर्थक सबके फेर १० दिन म्याद थप, शान्तिपूर्ण नारा लगारहल मधेसीउपर पुलिश केलक लाठी चार्ज - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

"५० दिन सँ लहान पुलिश के कैदमें रहल डा. सिके राउत आ ओकर समर्थक सबके फेर १० दिन म्याद थप, शान्तिपूर्ण नारा लगारहल मधेसीउपर पुलिश केलक लाठी चार्ज

"५० दिन सँ  लहान पुलिश के कैदमें रहल डा. सिके राउत आ ओकर समर्थक सबके फेर १० दिन म्याद थप, शान्तिपूर्ण नारा लगारहल मधेसीउपर पुलिश केलक लाठी चार्ज  
                                         



                       

अशोक कुमार सहनी - दोहा कतार / अपन मिथिला चैत ११ गते/ "५० दिन सँ इलाका प्रहरी कार्यालय लहान  में रहल स्वतन्त्र मधेस गठबन्धनके केन्द्रिय संयोजक डा. सिके राउत आ ओकर समर्थक के फेर आय शुक्रवार दिन १ बजे जिल्ला अदालत सिरहामें बिना कोनो बहस, सुनुवाई आ प्रहरी सँग अनुशन्धन रिपोर्ट नै माईग कs ओहिना पाँच बेरी फेरो १० दिनके लेल म्याद ददेने अछि आ सिरहा अदालत परिसर बाहार आय डा. राउतका छोडै के लेल  शान्तिपूर्ण नारा जुलुस करहल हजारौं सर्वसाधारण मधेसी जनताऊपर नेपाल पुलिश बेरहम जेका लाठी सँ पीटने अछि।
पुलिश के  लाठीचार्ज सँ उपेन्द्र यादव, संजिव यादव, राम कुमार यादव, मुकेस ठाकुर, करण यादव, वरिक यादव, सितेन्द्र यादव, मिथलेस यादव, जितन यादव, दीपक यादव, सुलिन्द्र यादव साथ दर्जनौ मधेशी के लाठी सँ पीट कके घायल बनादेने अछि। ओही टाइम में सडकमें घुइम  रहल सिरहा माडरके दस वर्षिय कान नै सुनै वाल आ बोल्न सेहो नै सकै बच्चा दिपेश के बहुत पीटने अछि दीपेश के मुरिमे बेसी चोट लागल अछि । ओहि शान्तिपूर्ण नारा जुलुसके टाइम में ईटाटा-२ के दिपेन्द्र यादव के पुलिश पकैड के लगेल अछि। 







🌼🌼🌼🌼💚💚💚💚💚💚💚🌼🌼💚
पोस्ट -:- अशोक कुमार सहनी
⚡🌷⚡👇⚡👇⚡👇⚡👇⚡👇⚡



कोई टिप्पणी नहीं