की अछि चुनाव चिन्ह विवाद ? आ किया आन्दोलनमें गेल बाबुराम भट्टराई ? - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

की अछि चुनाव चिन्ह विवाद ? आ किया आन्दोलनमें गेल बाबुराम भट्टराई ?

की अछि चुनाव चिन्ह विवाद ? आ किया आन्दोलनमें गेल बाबुराम भट्टराई ?


अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला/२२ गते चैत,  । निर्वाचन आयोगके कार्यालय घेराउ करै के टाइम में पूर्वप्रधानमन्त्री डा. बाबुराम भट्टराईके रबैदिन पक्राउ केने छेल । 

डा. भट्टराई दलीय चुनाव चिन्ह नै मिल्लत तब आन्दोलन जारी राख्ब मात्र नै, चुनाव नै हुवा देब से अडान में अछि ।

नयाँ शक्ति पार्टी नेपाल देशके बैकल्पिक राजनीतिक शक्ति बनबै लेल जारहल बाबुराम स्थानीय तहके चुनावके नजदीक आके सरकार आ निर्वाचन आयोगविरुद्ध आन्दोलनमें  उत्रल तँ ? आखिर की अछि  चुनाव चिन्ह विवाद ?

स्थानीय तह निर्वाचन ऐन २०७३ के दफा २६ में निर्वाचन चिन्हसम्वन्धी व्यवस्था अछि । ई में राजनीतिक दल आ स्वतन्त्र उम्मेदवारसब के चिन्ह दैके आ कोन चुनाव चिन्ह देब से  अधिकार निर्वाचन आयोग के देने अछि ।

मुद, उपदफा ६ में ई  व्यवस्था राखल गेल, अछि ओहि सँ बाबुरामके आन्दोलनमें जय परल अछि।

उपदफा ६ में राष्ट्रिय दलके उम्मेदवारसबके मात्र दलीय निर्वाचन चिन्ह दैके उल्लेख अछि । राष्ट्रिय दल कहि तँ संसदमें  रहल २८ दलसब के परिभाषित केने अछि आ, समानुपातिक मतके आधारमें चुनाव चिन्हके रोलक्रम देल गेल  अछि ।

उपदफा ७ में राष्ट्रिय दलके मान्यता नै भेलापर दलसबके उम्मेवारसब के स्वतन्त्र जेका चुनाव चिन्ह  आ स्वतन्त्र उम्मेदवारके रुपमें चुनाव चिन्ह दै के व्यवस्था अछि।

हs एहि व्यवस्था सँ बाबुराम भट्टराई के आन्दोलनमें लगेल अछि । ई व्यवस्थाअनुसार संसदमें रहल २८ दलके उम्मेदवारसब मात्र दलीय चुनाव चिन्ह पाबत ।

 और सब  स्वतन्त्र उम्मेदवारके हैसियतमें रहत। ई व्यवस्था सँ देशभर में  उम्मेदवारी देलक तैयो  नयाँ शक्ति पार्टीके उम्मेदवारसब दलीय चुनाव चिन्ह नै पाबत।

अर्थात नयाँ शक्ति पार्टीके उम्मेदवार काठमाडौंमें आँखि चुनाव चिन्ह मिल्ल तँ दोसर ठाममें कोनो और चुनाव चिन्ह मिल्लत। दलीय आधारमें लगेल तँ नयाँ शक्तिका उम्मेदवार आ कोनो एक स्वतन्त्र उम्मेदवारके हैसियत बराबर हेत ।

मतपत्रमें कोनो दल आ ओकर उम्मेदवारके नाम आ फोटो नै रहै छै । ओकर पहिचान कहि तँ चुनाव चिन्ह अछि। एकटा पार्टीके उम्मेदवार फरक फरक चुनाव चिन्ह मिल्ल तँ दलीय हिसावमें लडै के कोनो खास अर्थ नै रहल ।

निर्वाचन आयोग देने सबै प्रक्रिया पूरा कके दल दर्ता भेल ओहि सँ देशभर में एकटा चुनाव चिन्ह पाबै के  नयाँ शक्ति पार्टी नेपालके माग अछि। नयाँ शक्तिके प्रवक्ता खिमलाल देवकोटा कहै छै, ‘दल दर्ता करैत टाइम में चुनाव चिन्ह देने अछि। की उ चिन्ह  घर  दैवाल में  साटै देने अछि कि चुनाव लड़ै लेल ?

लेखकः- अशोक कुमार सहनी



कोई टिप्पणी नहीं