"सीता "कहाँ छैथ लोक मर्यादा पुरुषोत्तम राम - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

"सीता "कहाँ छैथ लोक मर्यादा पुरुषोत्तम राम

"सीता "

कहाँ छैथ लोक मर्यादा पुरुषोत्तम राम 


लेखक -अज्ञात
एकटा नारी के एहन दशा 
केना लिखू हम हुनकर कथा ?
जे कहियो दुःख छोड़ि सुख नहि केली

केना क कहू हम हुनकर व्यथा ?
नहि आर केकरो इ बात छै 
इ त मिथिला के बेटी 
माँ सीता के छै कथा !!

जे सीता महल में रहली 
हर सुख-सुविधा में पलली
नहि जानि केकर नजैर लागल 
विआह होइते वनवाशिक जिनगी कटली ?

जखन लक्ष्मण- रेखा सीता लंघली 
सभ अवाज़ उठेलक 
मुदा इ अवाज़ कहाँ छल सभक 
जखन राम सीता के घर सँ बेललैन ?

कहाँ छैथ लोक मर्यादा पुरुषोत्तम राम 
कुन मर्यादा के इ लाज रखलैन 
गर्भवति पत्नि के देलैन छोड़ि 
केलैन सभ मर्यादाक उलंघन 
तइयो कहाबैथ पुरुषोत्तम राम ?

आदर्श छैथ नारी लेल मिथिलाक बेटी सीता 
बार बार देली अग्नि परीक्षा 
तइयो जँ लोक नहि विश्वाश केलक 
त समा गेली धरती में माँ सीता !!
आइयो हर एक डेग पर 
मिथिलाक बेटी दैत अछि अग्नि परीक्षा 
मुदा कहिया तक धरती में समेती सीता ???

-अज्ञात

#अपन_मिथिला


💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐👍💝💝💝💝💝💝💝
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝💝👌💐💐💐💐💐💐💐

कोई टिप्पणी नहीं