७५जिल्लामे मुख्य निर्वाचन आयुक्तके कार्यालय स्थापना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

७५जिल्लामे मुख्य निर्वाचन आयुक्तके कार्यालय स्थापना

७५जिल्लामे मुख्य निर्वाचन आयुक्तके कार्यालय स्थापना


अशोक कुमार सहनी, दोहा क़तार, अपन मिथिला/ बैशाख–४ गते,निर्वाचन आयोग पचहतरो जिल्लामे मुख्य निर्वाचन अधिकृतके कार्यालय स्थापना कएलकअछि । बैशाख ३१के स्थानीय चुनावके लेल मुख्य निर्वाचन आयुक्तके कार्यालय स्थापना कएने निर्वाचन आयोग जनौलकअछि ।आयोग प्रत्येक जिल्ला अदालतके जिल्ला न्यायाधीशके प्रत्येक जिल्लाके मुख्य निर्वाचन अधिकृत तोक्लकअछि ।मुख्य निर्वाचन अधिकृतबाहेक ७४४ रो टाऽ नगरपालिका आ गाउँपालिकामे निर्वाचन अधिकृत रह्वाक प्रावधान अछि । सब मुख्य निर्वाचन अधिकृतसभ एकटा गाउँपालिका वा नगरपालिकाके निर्वाचन अधिकृतके जिम्मेवारी सेहो सम्हारके निर्वाचन आयोगके प्रवक्ता सुर्यप्रसाद शर्मा जानकारी देलनि ।आयोग अयसँ अगाडिए ७५ मुख्य निर्वाचन अधिकृत आ ६६९ निर्वाचन अधिकृत नियुक्त कऽचुकलअछि ।।

कोई टिप्पणी नहीं