बिषहरियामे आइगलागी, ४० लाख बराबरके क्षति भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बिषहरियामे आइगलागी, ४० लाख बराबरके क्षति भेल


बिषहरियमे आइगलागि भले ४० लाख बराबर के क्षति 



अशोक कुमार सहनी,दोहा क़तार, अपन मिथिला /,बिसहरिया, वैशाख ३ गते । सप्तरी जिल्लाके विषहरिया–६ स्थित भेल्ही गाउँमें शैनदिन (काल्हि) भोर में आइगलागी भेल करिब ४० लाख रुपैयाँ बराबर धनमाल जैर  गेल अछि।
विजेश्वर यादवके घरमें गहुँम दाउनी करै समयमे भुसीमे आइग सलैक के आइगलागल छेल । आइगालागीमें  विसहरिया गाविसके पूर्व अध्यक्ष राजेन्द्र प्रसाद यादवके दुई टा घर आ दुई थान बाछा, बाछी जैर गेल अछि । वीरेन्द्र यादवके एकटा घर, डिजे, टेन्टके सामानसब जैरके खत्म भगेल अछि । और एहि आइगलागीमें विनोद यादव, प्रमोद यादव, जगदिश यादव, सुरेन्द्र प्रसाद यादव, विरेन्द्र प्रसाद यादव, महेश प्रसाद यादव, शान्ति देवी यादव, जगदेव यादवसब  कके ११ टा घर, १५ टा खसी बाछी जैर के मोइर गेल से प्रहरी जानकारी देने अछि । सदरमुकाम राजविराज सs पुगेल बारुणयन्त्र आ स्थानीयवासिके सहयोगमें आइग बूतौने छेल ।

कोई टिप्पणी नहीं