अदालतके फैसला बिरुद्ध डा. सीके राउत फेरो सँ पक्राउ
अदालतके फैसला बिरुद्ध डा. सीके राउत फेरो सँ पक्राउ
अशोक कुमार सहनी,दोहा क़तार, अपन मिथिला /चैत ३१ गते, सिरहा । राज्य विरुद्धके सांगठनिक अपराधमें सिरहा जिल्ला अदालत सफाइ देलक तैयो अदालत के भीतरे सँ स्वतन्त्र मधेश गठबन्धनके संयोजक डा. सीके राउतके पक्राउ केने अछि ।
आय सिरहा जिल्ला अदालत राज्य विरुद्धके संगठित अपराध मुद्दामें कोनो ठोस प्रमाण नै भेटलापर डा. सीके राउतके छोड़ै के आदेश देने छेल ।
छुटल के तुरन्तबाध डा. सीके राउतके रुपन्देही पुलिश पक्राउ कके रुपन्देही लागेल अछि।
चैत्र २१ सँ ३० गतेतक सरकारी आ विपक्षी कानुनके विद्वान् वकिलसब लगातारके १० दिने बहस खत्म कके डा. सीके राउत, आ ओकर संगठन के सहयोगीसब ऊपर लागल मुद्दा प्रमाणित नै भेल तs सिरहा जिल्ला अदालत छोड़ ने छेल ।
डा. सीके राउतउप लागल राज्य विप्लव, राजद्रोह जेहेन मुद्दासब में सेहो विशेष आ सर्वोच्च अदालत, काठमाण्डौं और जिल्ला अदालत रौतहट केने फैसलाके आधारमें जिल्ला अदालत, सिरहा सेहो डा. सीके राउत आ ओकर शियोगी नेतासब के आयके दिन छोड़ै के आदेश देने छेल ।
छूइट गेल डा. सीके राउत कोनो कारण नै बताबैत अदालत के आँगन से आय फेर नेपाल के पुलिश पकड़ने अछि ।
मुदा और सहियोगी सब के छोईड देने अछि सब अपन अपन घर गेल अछि /

कोई टिप्पणी नहीं