ग्रीष्म प्रवास ( गीत ) आब लागै छै गरमीके जोर भेलै
ग्रीष्म प्रवास ( गीत )
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै
✍👤👩अज्ञात
*********************************
लहरि लहरि पानि इन्होर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
चलू चलू प्रियतम एहि गरमीमे गाम औ
अंगनामे चतरल छै हुबहर लताम औ
कलमीके टिकुला टिकोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
बगले बथान बहथि कलकल सन कमला
गामक सीमान जेना शीतल सन शिमला
सोचिते मुरुझायल मोन मोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
ओत्तहु बिजुरिया बेरूक पहर आबै
पहिला जकाँने आब ककरो भरमाबै
लत्तीमे खसखस परोर एलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
भ'रल बैशाख चलि गंगा नेहेबै
ओहिठामक ज'ल बोझि संग नेने एबै
देखूने खुशीमन बहोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
टटका तोड़ल बतिया खूबे चिबेबै
उसीनि कांचआम जलजीरके' मिलेबै
नेना- आनंद पोरेपोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
शिव कुमार टिलु जि
✍👤👩 अज्ञात
💚💚💚💚💚💚💚💚💚💚✔💚💚💚❤💚💚
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷✔🌷🌷🌷🌷🌷✔🌷🌷🌷✔🌷
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै
✍👤👩अज्ञात
*********************************
लहरि लहरि पानि इन्होर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
चलू चलू प्रियतम एहि गरमीमे गाम औ
अंगनामे चतरल छै हुबहर लताम औ
कलमीके टिकुला टिकोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
बगले बथान बहथि कलकल सन कमला
गामक सीमान जेना शीतल सन शिमला
सोचिते मुरुझायल मोन मोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
ओत्तहु बिजुरिया बेरूक पहर आबै
पहिला जकाँने आब ककरो भरमाबै
लत्तीमे खसखस परोर एलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
भ'रल बैशाख चलि गंगा नेहेबै
ओहिठामक ज'ल बोझि संग नेने एबै
देखूने खुशीमन बहोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
टटका तोड़ल बतिया खूबे चिबेबै
उसीनि कांचआम जलजीरके' मिलेबै
नेना- आनंद पोरेपोर भेलै
आब लागै छै गरमीके जोर भेलै !
शिव कुमार टिलु जि
✍👤👩 अज्ञात
💚💚💚💚💚💚💚💚💚💚✔💚💚💚❤💚💚
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
🌷🌷🌷🌷🌷✔🌷🌷🌷🌷🌷✔🌷🌷🌷✔🌷

कोई टिप्पणी नहीं