हेल्प मधेशी कतारके प्रथम बार्षिक उत्सव तथा नव बर्षके कर्यक्रम सम्पन्न ।

विन्देश्वर ठाकुर,अपन मिथिला दोहा कतार बैशाख २ गते १५/०४/२०१७,हेल्प मधेशी दोहा कतारद्वारा १४/०४/२०१७ शुक्र दिन(काल्हिखन) नव बर्ष तथा जुड़शीतलके अवसर पर सहानियाक अल डोसरी पार्कमे संस्थाक पहिल बार्षिक उत्सव धुमधाम सँ मनाओल गेल। कवि विन्देश्वर ठाकुर जीक मंच संचालन आ नेपाल सं भ्रमणमे आएल समाजसेवी श्री कृष्ण प्रसाद साह जीक मुख्य आतिथ्यमे शुरु भेल कार्यक्रममे नयाँ बर्षक कैलेन्डर बिमोचन आ हेल्प मधेशीक सेन्टर कनिटीसबहक गठन सेहो कएल गेल।२५ गोट सेन्टर कमिटीके एक साथ गठन होबाक लक्ष्य होइतो काल्हिखन १२ गोट कमिटीके गठन भेल। बाँकी कमिटी सबहक गठन हेल्प मधेशीक सप्ताहिक दलानपर कएल जाएत।
बिहान ८ बजे सँ शुरु भेल कार्यक्रममे नास्ताक रुपमे चुरा,मुरही आ घुघनी खुआएल गेल छल त जुसके संग स्वागत कएल गेल छल। तकराबाद सनैयाके कीर्तन मण्डलीद्वारा भगवानक स्तुति संग कार्यक्रमके विधिवत शुरुवाती कएल गेल। तत्पश्चात, हेल्प मधेशीक परिचय व महत्वके बारेमे हेल्प मधेशीक सेवक प्रमुख वीरेन्द्र कुमार साह जी बतौने छलाह।
दोसर चरणमे हेल्प मधेशीद्वारा निकालल गेल स्मारिकाक सेहो बिमोचन भेल। एहि स्मारिकामे एक बर्षके भीतर एहि संस्थाद्वारा कएल गेल काम,कर्तव्य एवं सहयोगके फोटो फीचरसब उपलब्ध अछि। संगे हेल्प मधेशी सम्बन्धी किछु गीत,कविता आ रचनासब सेहो समेटल गेल अछि। खास क' कतार,सउदी आ दुबइके कृयाकलाप सब समवेश अछि। कार्यक्रम हेल्प मधेसी कतार द्वारा कृष्ण प्रसाद जीके सम्मान पत्र सेहो प्रदान केलनि।
कार्यक्रममे सेवक प्रमुख श्री गोबिन्द झा,संजय दास,सतीश यादव,दिनेश साह,रामलोचन यादव,शिव कुमार महतो,मो.हुसैन खान धर्मनाथ ठाकुर लगायतके सेवकसबहक प्रमुख उपस्थिति छल। तहिना, सेवकसबमे विशेश्वर यादव,विजय दास,श्री पल्टु जी राम सुवन यादव,राम कल्याण महतो,देबेन्द्र ठाकुर,जय प्रकाश मधेशी लगायतके दू दर्जन सँ बेसी सेवकसब अपन बिचार रखने छलथि। कार्यक्रममे हेल्प मधेशी सम्बन्धी गीत/रचनासब सेहो वाचन भेल। रचना वाचन केनिहार सबमे - कवि धनेश्वर ठाकुर,रवीन्द्र उदासी,दिनेश राम,रामनारायण सिंह,राम अधीन 'सम्भव'संतोष विश्वास आ कवि विन्देश्वर ठाकुर।
तहिना, एकर बाद उपस्थित सबगोटेके बुजुर्गसबद्वारा पानि सँ सेहो जुडाएल गेल। टीका लगौलनि प्रमुख अतिथी आदरणीय कृष्ण प्रसाद जी। अपन शुभकामना संदेश दैत परदेशमे रहिक' अपन समाज,संस्कार आ संस्कृति लेल करैत आबि रहल कृयाकलापके सराहैत ओ अपन हर्ष व्यक्त केलनि। अहाँसबहक डेग सुन्नर,निस्सन आ प्रगतिक पथपर रहल कहि हमरा सँ जखन जे सहयोग बनत करबाक लेल तयार छी से आश्वासन देलनि।
अन्तमे लक्की ड्र के विजेता घोषित संग कार्यक्रमके समापन कएल गेल। कार्यक्रममे सहयोग स्वरुप राखल गेल २५ रियालमे एकटा कुपन देल गेल छल जकरा लक्की ड्र कराओल गेल छल।एहि लक्की ड्र सँ पाँच गोटेके पुरस्कार सेहो वितरण कएल गेल।तकराबाद किछु नृत्य आ संगीतसब सेहो भेल। सबगोटे खूब मनोरंजन केलनि।
कार्यक्रममे भोजनके सेहो नीक प्रबन्ध कएल गेल छल। जुडशीतलके उपलक्षमे मैथिल परिकार - दालि,भात,तरकारी,पापड,तीलके चटनी,बरीझोरी, आ दही/चिनीक व्यवस्था छल। सबगोटेमे एकटा नयाँ उत्साह,उमंग देखबामे आएल। कतार के विभिन्न ठाम सँ आएल पाँच सय सँ बेसी लोकके उपस्थिति छल।
✍👤विन्देश्वर ठाकुर
💜💜💜💜💜💜💜👇💜💜💜💜💜💜
पोस्ट - अशोक कुमार सहनी
,↕💗↕💗↕💗↕💗↕💗↕💗💗💗💗💗💗

कोई टिप्पणी नहीं