गर्व करै छी हम छी मैथिल, मैथिली हमर गुमान

राजर्षि जनकके धरा ई, मिथिला हमर स्वाभिमान

डाक मण्डन गोनू छथि हमरे वाचस्पति सन दानी महान
गार्गी मैत्रेयी भारतीके ज्ञानक सगरो जगमे होइछ बखान
तपोभूमि आ ज्ञानभूमि ई, एतै रचाएल चारि पुराण

दुलरा दयाल दिनभद्री लोरिक वीर सल्हेशक गाथा गान
घर घर अनुगँुजित होइ जतऽ सब दिन विद्यापतिके तान
गंगा कोशी कमला गण्डक बहए वाग्मती बलान

लेखक:- ✍👤अशोक दत्त
🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐
✍👤अशोक दत्त

![]() |
| कवि- अशोक दत्त जी |
🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊🎊
पोस्ट :- अशोक कुमार सहनी
💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐💐

कोई टिप्पणी नहीं