जीवन सीँथि (मैथिलि कबिता) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

जीवन सीँथि (मैथिलि कबिता)

# जीवन सीँथि #


हमरहि सन ओ
ओकरहि सन हम
अनमन ओकरहि सन..

हमरहि सन सsख -मनोरथ
स्वपन-कल्पना-कामना
प्राण मे तरंग
जीबैत रहबाक उमंग
सब किछु हमरहि सन
अन्तर बस एतबे -
ओकर विश्व झरकल छै
ओकर सीँथि ऊजड़ल छै..

नीक लगै छै ओकरो
हमरहि सन
जीवनक सब रंग
जिनगीक सब राग
चिड़ै-चुनमुनिक गीत
सृष्टिक मधुर संगीत
फूलक मृदु संवाद
तरल माछक सुआद..

चुड़ीक खनखन
पैजनियाँक छमछम
ललाट मध्य पूर्ण चन्द्र
सेनुरक लाल रंग
अस्तित्व मे गाँथल मान
ठोर पर सरल मुस्कान
सबटा अनुराग
हमरहि सन..

अन्तर बस एतबे
ओकर सांस ठहरल छै
ओकर सीँथि ऊजड़ल छै..

गत बरखक शेयर कएल ई कविताक रचनाकारक नाम नहि बुझल अछि, जौँ अपने सभके बुझल होए त नीचा कमेन्टमे लिखब हम हुनका अवश्य श्रेय देबए चाहब l
साभार-सूरज दयाल यादव

पोस्ट - अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं