हम कोना रहब ना... (मैथिलि गीत) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

हम कोना रहब ना... (मैथिलि गीत)


हम कोना रहब ना....२

मैथिलि गीत 



✍👤 दिनेश कुमार राम

पिया मोरा जाइछै रामाहो, देश रे बिदेश, कि आहो राम देश रे बिदेश!
हम कोना रहब ना....२
आस जेकरे ला लगैलियै ओ बिदेशिया भेलै ना...२

जोना पिया खातिर हम, देब पितर पुजलौ हे, देब पितर पुजलौ!
ओ नै घुरिक ताकै ना.....२
रामा कोना क हम जिएब ओ निर्मोहिए भेलै न....२

केकरा खातिर करब रामा हो, शख और शृङार, रामा हो शख और शृङार!
हमरा नीक नै लागे ना.....२
रामा हो अखिया के कजरबा, देखिते ताना मारै ना....२

किए हमरा लाएला पिया हो, गवना कराइके, पिया हो गवना कराइके!
हम कोना जिएब ना....२
पिया हो सेज के हो पकरिक हम कतेक दिन कानब ना.....२

कोना जिएब घरबा मे, केकरा संग बोलब रामा हो, केकरा सँग बोलब!
अहाँ बिनु कोना जिएब ना.......२
अहाँ जाइछी जे बिदेशमे हम त मरिए जाएब ना...२

✍👤दिनेश कुमार राम
सुगा मधुकरही -६ धनुषा 
हाल: दोहा, कतार
गीतकार - दिनेश कुमार राम जी

कोई टिप्पणी नहीं