गोरब अछी सदखन हमरो जनकपुर हमर गाम यौ।। - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

गोरब अछी सदखन हमरो जनकपुर हमर गाम यौ।।

गोरब अछी सदखन हमरो ,जनकपुर हमर गाम यौ।।


✍👤सरोज मण्डल

राजरिसि जनक के धिया,
जान्की हमर नाम यौ।
गोरब अछी सदखन हमरो
जनकपुर हमर गाम यौ।।

बहिन सिया सङ रचल स्वंयवर
 मान्दवी,सुर्कृती आ उर्मिला यौ।
धन्य भेल हमर जनकपुर ,
धन्य भेल हमर मिथिला  यौ ।।
जाही माइट पे एखनो सुँगा जपेत नित नाम यौ ।
गोरब अछी सदखन हमरो
जनकपुर हमर गाम यौ।।

कोशी,कमला के गोद मे खेल
भेलिन धिया जुवान यौ।
वहि धिया से बढल कोना अहोक
अयोध्याक शान यौ।।
जाही माइट के लगा तिलक करेत
सतत प्रणाम यौ।
गोरब अछी सदखन हमरो
जनकपुर हमर गाम यौ।

राजरिशी जनक के धिया ,
जानकी हमर नाम यौ।
गोरब अछी सद्खन हमरो
जनकपुर हमर गाम यौ।।

✍👤सरोज मण्डल

गीतकार - सरोज मण्डल जी

कोई टिप्पणी नहीं