प्रचण्ड नै केलक मधेशके माग पूरा
प्रचण्ड नै केलक मधेशके माग पूरा
अशोक कुमार सहनी, अपन मिथिला / मधेशके माग पूरा करै लेल तीन बुँदे सहमतिसे बनल प्रचण्ड नेतृत्वके सरकार मधेशके माग पूरा नै करसकलै।
मधेश आन्दोलनके मुख्य माग संविधान संशोधन, प्रदेशके सीमांकन आ जनसंख्याके आधारमें स्थानीय निकायके पुनर्संरचनामें कोनो भी माग पूरा नै भेल ।
संविधान संशोधनके लेल प्रचण्ड तीन बेरी प्रयास केलक तैयो संविधान संशोधन करब नै सकल । प्रचण्ड मधेशी मोर्चाके मागबमोजिम जनसंख्याके आधारमें स्थानीय तहके पुनर्संरचना नै कर सकलै ।
पछिला बेरी २२ टा स्थानीय निकाय थपकेलक नेपाली कांग्रेसके मागबमोजिम ई निकायसब थपल गेल अछि।
प्रचण्ड नेतृत्वके सरकार मुद्दा फिर्ता लैके काम अधूरा निर्णय केने अछि । उ निर्णयके आधारमें मधेश आ थरुहट आन्दोलनके कैदीबन्दीसब छुटै के सम्भावना कम रहल अछि ।
नेपाली कांग्रेससँग भेल सहमतिअनुसार प्रधानमन्त्री पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’ अपन पदसे राजीनामा देने अछि ।
देशवासीके नाममें कुछअपन काज के बारे में जानकारी करबैत प्रचण्ड राजीनामाके घोषणा केने अछि। उ कहलक हमसब कांग्रेससगे केन सहमतिअनुसार राजीनामा देली से कहने छेल ।
नेपालके राजनीतिमें बहुत समयसे ‘नैतिकताके खडेरी’ पड़ैत आरहल पृष्ठभूमिमें हम नेपाली काँग्रेससगे केने समझदारी अनुसार राजीनामा केलि से कहकल ।
।

कोई टिप्पणी नहीं