साँझक चौपाडी पर
साँझक चौपाडी पर
दिनेश कुमार ,अपन मिथिला /फेसबुक पs बहुत साथीसबहक रचना देखि रहैत अछि। रचना पढिक बहुत कुछ सिखैला मिलैया।ओ साथी सबके बहुत बहुत बधाई आs भबिस्यमे येहने रचना सब करैत रहत से आस सेहो लगौने अछी। एहिक सङ्ग हम ओ सथिसब के जानकारीके साथ अनुरोध करैला चाहैत छि कि अपने कतरमे रहैत अछी तs सब महिनाक अन्तिम शुक्रबारके दिन मैथिली साहित्य साझंक_चौपाडिं बैसल जाइत छै बिगत एकैइस मास`स । तs अपने साथी सब सs अनुरोध अछी कि अप्ने सब आएल जाउ आ अपन अपन रचना सुनाबी आs दोसरो के सुनि, कुछ सिखी आ कुछ सिखके मौका दिs नबतुरिया साथी सब के।
अशा करैअछि कि जरुर महिना के एकदिन अपने सब मैथिली साहित्यके बिकास हेतु समर्पित करब। हम नबतुरिया केर अहाक सबहक जरुरत अछी।
हकार…….हकार……… हकार
“मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा”
मूल नाराके संग बिगत २१ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतके कार्यक्रम #साँझक_चौपाड़ि_पर के एकइसम मासक बैसार निम्न मिति तथा स्थानमे होबए जा’ रहल अछि । अत: दोहा-कतारमे रहनिहार सम्पूर्ण सर्जक,स्रष्टा एवं मैथिल प्रेमीसबसँ सादर निवेदन जे कृपया अपनेसब जरुर पधारी ।संगे कतार सँ बाहर रहल मित्रसब अँनलाइन सँ जुडबाक लेल फेसबूकमे – – ‘साँझक चौपाड़ि पर’ पेज आ वाट्स एप्पमे अपन नम्बर संग सम्पर्क कएल जाओ ।
मिति: २६/०५/२०१७शुक्र दिन)
स्थान:ग्राण्ड मल्ल(सनैया)
दोहा-कतार
समय : ४ बजे सँ

कोई टिप्पणी नहीं