दोहा क़तार में साँझक चौपाडि पर २१ मास काव्यगोष्ठी समापन भेल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दोहा क़तार में साँझक चौपाडि पर २१ मास काव्यगोष्ठी समापन भेल

दोहा क़तार में साँझक चौपाडि पर २१ मास काव्यगोष्ठी समापन भेल



राम अधिन सम्भव ,अपन मिथिला / जेठ,१३गते --"मातृभाषाक जगेर्णा हमरासबहक प्रेरणा" मूल नाराके संग बिगत २१ मास सँ निरन्तर रुपमे आयोजना होइत आबि रहल मैथिली काव्य-सन्ध्या अन्तर्गतके कार्यक्रम #साँझक_चौपाड़ि_पर के एकइसम मासक बैसार बीतल काल्हि शुक्रदिन २६/०५/२०१७  ग्रेणड मँल सनैयामे बहुत झमटगर केरऽ सगं सफलतापुर्बक समापन भेल। गोष्ठीमे पुराना सर्जक के साथ कुछ नयाँ सर्जक तथा क्ष्रोता सबहक उपस्थिति सऽ गोष्ठी पुर्नत: साहित्यमय भेल रहे।

कार्यक्रममे कवि बिन्देश्वर ठाकुर,कवि अब्बदुल रजाक,कवि बेचन महतो,कवि राम अधिन सम्भव, गजलकार सत्रुधन मुखिया, बिरेन्द्र कु. सिहं,राम नारायन सिहं,जय प्रकाश,रामेश्वर राम,उदयचन्द्र सिहं तथा राम अधार राम लगायतके सर्जक सब अपन अपन कविता, गजल, गीत सगं सगं मैथिली चुटकिला सब परोसने छलखिन।सगंसगें अँनलाइन सऽ आइल कवि धनेश्वर ठाकुर के रचना सेहो बाचन कैलगेल छ्ल।

कार्यक्रम बहुत सफलतापुर्वक समापन भेल।कतर के अतेक गर्मीके प्रवाह नै करैत गोष्ठीमे सहभागी हुवे बाला सब साथि धन्यवाद के पात्र छथी आ भबिस्यमे सेहो येहने जोस केरऽ सगं सहभागी भऽ मैथिली आ मिथिलाके उत्थानमे सहयोग करब से अपेक्षा करै अछि। गोष्ठीके कुछ झलक निचा तस्वीरमे देखिइ।

✍👤राम अधिन सम्भव
दोहा,कतार






कोई टिप्पणी नहीं