छठी गीत - हे जल्दी सजाबू अरघक डाला
छठि गीत ....
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
********************************
हे जल्दी सजाबू अरघक डाला !!
धरू पानपात फूल अड़हुल के माला !
रसेरसे सुरूज अस्त बाटे पकड़लथि
छठि'घाट भेलै भक्तशाला
प्रियतम हे छठि'घाट भेलै भक्तशाला !
आल'वसन लाल'सेनूर भगतिन शोभै छथि
अरिपन सजा रहली बाला
देखू ने अरिपन सजा रहली बाला !
वाती कपूर भानु छठि केसर आरति
श्वेत कमल पकड़ू मृणाला
हे प्रियतम श्वेत कमल पकड़ू मृणाला !
अस्त आदि उदित अंत सन्देश दै छै
शाश्वत इजोतक कराला
दिनकर के' शाश्वत इजोतक कराला !
शिव कुुुमार झा टिल्लू
✍👤शिव कुमार झा टिल्लू
********************************
हे जल्दी सजाबू अरघक डाला !!
धरू पानपात फूल अड़हुल के माला !
रसेरसे सुरूज अस्त बाटे पकड़लथि
छठि'घाट भेलै भक्तशाला
प्रियतम हे छठि'घाट भेलै भक्तशाला !
आल'वसन लाल'सेनूर भगतिन शोभै छथि
अरिपन सजा रहली बाला
देखू ने अरिपन सजा रहली बाला !
वाती कपूर भानु छठि केसर आरति
श्वेत कमल पकड़ू मृणाला
हे प्रियतम श्वेत कमल पकड़ू मृणाला !
अस्त आदि उदित अंत सन्देश दै छै
शाश्वत इजोतक कराला
दिनकर के' शाश्वत इजोतक कराला !
शिव कुुुमार झा टिल्लू

कोई टिप्पणी नहीं