अहाँक आँचर ( मैथिलि गीत ) - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अहाँक आँचर ( मैथिलि गीत )

अहाँक आँचर ( मैथिलि गीत )


✍👤शिव कुमार झा "तिल्लु"

*********************
आब बिसरब कोना सुनू जननी अहाँ
कते' निर्मल सेहंतित अहँक ऑचर 
हिय सिहकै जखन बहै लोचन तखन 
नोर पोछलहुँ लपेटि हम अहँक ऑचर 
कोना अयलहुँ खलक ? मोन नहि अछि कथा,
पवित्र पटसँ सटल देह भागल व्यथा 
सिनेह निश्छल अनमोल पहिल सुनल मायबोल 
मोह ममताक आन के‘ करत परतर 
दांत दूधक उगल, पानि पेटसँ बहल 
देह लुत्ती भरल कंठ सरिता सुखल 
जी करै छल बिसबिस तालु अतुल टिसटिस 
मुॅहमे लऽ चिबेलहुँ अहँक ऑचर
नेना वयसक अवसान ताक‘ चललहुँ हम ज्ञान, 
कएलहुँ गणना अशुद्ध गुरू फोड़ि देलनि कान 
सिलेट बाटपर पटकि मायक कोरमे सटकि,
तीतल कमलाक धारसँ अहँक ऑचर
देखि पॉचमक फल मातृदीक्षा सफल,
भाल तिरपित मुदा ! उर तृष्णा भरल 
गेलहुँ कत‘ हे अम्बे कत‘ गेल ऑचर
ताकि रहलहुँ हम ऑगनसँ पिपरक तर ! 

✍👤शिव कुमार झा "टिल्लू"

कोई टिप्पणी नहीं