नेपाल'केँ प्रदेश प्रमुख सभकेँ पद खतरा में - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

नेपाल'केँ प्रदेश प्रमुख सभकेँ पद खतरा में

नेपाल'केँ प्रदेश प्रमुख सभकेँ पद खतरामें 






अशोक कुमार सहनी/अपन मिथिला ,२१ असार, । नेपाल सरकार भदौ बादके राजनीतिक नियुक्ति हटाबै के  निर्णय केने छथि  । तब साथ मे प्रदेश प्रमुखसभ के पद सेहो खतरा  में पड़ल छथि ।

पहुलका शेरबहादुर देउवा नेतृत्वके सरकार बीतल माघ ३ गते अकेले सातो प्रदेशके प्रमुख नियुक्त केने छेल। प्रदेश १ में गोविन्द सुब्बा, २ में रत्नेश्वर लाल कायस्थ, ३ में अनुराधा कोइराला, ४ में बाबुराम कुँवर, ५ में उमाकान्त झा, ६ में दुर्गाकेशर खनाल आ ७ में मोहनराज मल्लके प्रदेश प्रमुख नियुक्त केने छेल । नियुक्त केने प्रदेश २ के कायस्थ आ प्रदेश ५ के झा शिब बाँकी सभ कांग्रेस नजदीक के अछि। कायस्थ आ झा कांग्रेस साथ तखुन पावर शेयर के कारण मधेस केन्द्रित दलसभके कोटा सँ प्रदेश प्रमुख हुवा लेल  सफल भेल छेल ।

स्रोतके अनुसार, सरकार निर्वाचन बाद भेल ई नियुक्ति सहो हटाबै के सोच बनोने छथि ।

अपने राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी सेहो प्रदेश प्रमुखसभ के  नियुक्ति हटाबै में  सकारात्मक रहल छथि । राष्ट्रपति कार्यालय स्रोत के अनुसार ‘प्रदेश प्रमुखसभके नियुक्ति बदर करै के सोच में  राष्ट्रपतिज्यू सहो छथि ।’

प्रदेश प्रमुखसभके नियुक्ति आ बदर मन्त्रिपरिषदके सिफारिसमें राष्ट्रपति पास करै  के संवैधानिक व्यवस्था छथि । ओली सरकार नियुक्ति बदरके सिफारिस केलक तब राष्ट्रपति ओकरा पास कडपरत।



#अपन_मिथिला

कोई टिप्पणी नहीं