दशमिमे भक्ति ग़ज़ल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दशमिमे भक्ति ग़ज़ल

मैयाके आँगनसँ एलै हकार दशमीमे
करबै दुनू परानी  जयकार दशमीमे

विधिसँ विधानसँ आओर दूभि धानसँ
पूजा  करै  छै  सगर  संसार  दशमीमे

लाले चनमा लोभाबै छै मनमा हमर
लाले चूड़ी आ गहना सिंगार दशमीमे

ल' क ' तरूआइर मा महिखाकेँ माइर
करथिन्ह दानवके मैया संघार दशमीमे

गोहराबै प्रशान्त जग भ' जेतै शान्त
करथिन्ह अम्बे नेहक संचार दशमीमे

~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।

कोई टिप्पणी नहीं