अपन मिथिला में - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अपन मिथिला में

जनम लेलौउ मिथिला में
बास अछि कलकता में
मन अनेरो अहुरिआ काटय
जोतल खेत में कियै घास लय ।
नै चुका पायब मातृभूमि के ऋण
मूदा रहब गाम में कि खास लय
ईच्छा अछि जे अंतिम समय
बेटा आओता दिल्ली कि लाश लय ।
जीवनक आपाधापी में बिसरर्लौ
कि बैसब गाम में आब ताश लय
धेलौ परदेश धन सम्पति बहुत रास लय ।
मूदा सब किछ रहितो
बनल छी एखनो भिख्मँगा
नै करई छी किछुओ यत्न
वापसी  अपन गाम लय ।
करैत माँ मिथिला सदिखन पुकार
वापस आऊ संतान हमर
आँचर हम एख्णो ओरने छी
अहिं सबहक साँसक आश लय ।
कहैथ "कृष्ण "आऊ मैथिल
अपन गाम यौ
व्याकुल अछि माँ मिथिला के
अहिं सब लय प्राण यौ ।
॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥
     जय मिथिला   जय दलान
॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥॥
✍कृष्णा जी

कोई टिप्पणी नहीं