परदेशी पिया - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

परदेशी पिया

कोना रहै छी पिया सात समुन्दर पार मे,,,,,
आहाँ बिनु नीक नै लागे घर आ दुवार में,,,,,,,

राईत भर जगै छी पिया अहीँक प्यार में,,,,
आहाँ बिनु नीक नै लागे घर आ दुवार में,,,,,

नयन तरपि रहल अछि,सदिखन अहीँक इंतेजार में,
आहाँ बिनु नीक नै लागे घर आ दुवार में,,,,,,

सब किउ अछि मुदा अहाँ बिना अन्हार अछि संसार में,,,,,,
सुतल रहै छी मुदा नयन ब्याकुल रहैया अहीँक दुलार में,,,,,,

कोना रहै छी पिया सात समुन्दर पार में,,,,,
आहाँ बिनु नीक नै लागे घर आ दुवार में,,,,,,

✍अहमद रेज़ा
हाँसपट्टी ८
हॉल-  दोहा क़तार

कोई टिप्पणी नहीं