माय गे हम त' खूब नाम कमेलियो - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

माय गे हम त' खूब नाम कमेलियो

प्रशंसा त' सगठे, कतौ नै दाम कमेलियौ
माय गे माय हम त' खूब नाम कमेलियौ॥

भुख-पियास बिसरि रेडियोमे चिचियाबैत,
आवाजक चर्चा हे गे ठामे-ठाम कमेलियौ॥

स्थानिय फ्रिक्वेन्सीमे,विकट अॅन लाईनमे
देश-विदेश,सहर आ गामे-गाम कमेलियै॥

मैँनेजर कमा-कमाक' ब्यूलडिङ्ग ठोकलकौ,
अपना फुसोके घरमे नै आराम कमेलियौ॥

अपन माटि लेल कलाकार कहिँ वा कलर,
साँचे दिल खोलिके खुले आम कमेलियौ॥
   ○     ○      ○
© विद्यानन्द वेदर्दी
    सप्तरी,राजविराज
    हाल: विराटनगर,मोरङ्ग

कोई टिप्पणी नहीं