कठिन अछि - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

कठिन अछि

उजरल घर सजायब कठिन अइछ
मिझाइल आइग जराइब कठिन अइछ

हँसब बाजब रहब अँहा के संग मे
एकोटा बात बिसरायब कठिन अइछ

चौकट पर छुरी ल ठाढ समाङ अइछ
घर स आब बहराइब कठिन अइछ

लोकक बात पर सम्बन्ध खटाह भेल
जेकरा मधुर बनायब कठिन अइछ

छुटल गाम घर सब संगी बहिनपा
मोन स सब बिसराइब कठिन अइछ

संजय अँहा स आब कोनो सम्बन्ध नै
एहि गप्प के पतियायब कठिन अइछ

✍संजय कुमार झा

कोई टिप्पणी नहीं