जन्माष्टमी
. 🙏 जन्माष्टमी 🙏
आय भादव कृष्ण अष्टमी लेलनि अवतार !
छटल अन्हरिया पसरि गेलय सगरे इजोर !!
नक्षत्र रोहिणी उदयमान भेला कंस कारागार !
देवकी हिय चमकल विजलोका सगरे इजोर !!
छिट्टा मे लय बासूदेव विदा भेला ओ यमुना पार !
बासूकी यमुना जिवन सफल भेल
सगरे इजोर !!
देवलोक संऽ देवता पुष्प वृष्टि केलनि भरमार !
देवगण'क हृदय जूराय भय गेल सगरे इजोर !!
गोकुल संऽ उठा वैष्णवी पूणि लय कारागार !
प्रसन्न चित बासूदेव'क स्फुरित सगरे इजोर !!
कंस कन्या देखि केलक उठा पाषाण प्रहार !
तत्क्षण दुष्ट'क जिनगी अंध आ सगरे इजोर !!
गोकुल मे बधइया बाजल भेलहि नव त्योहार !
दिया वाती के कहय 'चन्द्र' केलनि सगरे इजोर !!
💘 वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ
कोई टिप्पणी नहीं