भक्ति गीत
चनमा चढेबौ मा गे ।
तोरे गोहरेबौ मा गे ।।
कोराकेँ ललन बिनु, सुन आँगन दलान गे मा ।
सभकेँ तों आश पुरेलही ।
हमरा बिसरिये गेलही ।।
किइए ममता भरल करेजा ,भेलौ पाषाण गे मा ।
तोरा अछैत हम किइए कानी ।
विनती सुनिले अम्बे भवानी ।।
करूणामयी हे दुर्गा ,दुखमे छौ तोहर संतान गे मा ।
फूलो ने अक्षत हमरा ।
भेटल यै दुखे बखरा ।।
प्रशान्तकजे भावक आखर, मनीष करौ गान गे मा ।
~> मैथिल प्रशान्त
दुर्गौली, बेनीपट्टी ।
कोई टिप्पणी नहीं