बबाल मैथिलि गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बबाल मैथिलि गीत

बबाल
♡♡♡
फोट :- भोजपुरी फिल्म के हिरोनी अछि

चानन सन गमगम ई गमकति जे देह छौ 
ताही पर ओढनी कमाल
गे गोड़िया मचतौ मुहल्ला बबाल2

लाले ई लाल जे सुगा सन ठोर छौ
हंसो सन उज्जर ई देहो जे गोर छौ
यौवन मे मातल तोर चालो के देखि देखि
मोरनी के होई छै मलाल
गे गोड़िया मचतौ मुहल्ला बबाल

सीपी  सन दाँतो जे चमचम करैत छौ
नागिन के मात दैत केशो उड़ैत छौ
पर्वत सन उभरल ई यौवन सँ जाँतल छैं
दुनियाँ त करतौ सवाल
गे गोड़िया मचतौ मुहल्ला बबाल

पैरो के पायल के छम छम छमकाबै छैं
हाथो के कंगणा के खन खन बजाबै छै
आबति आ जाति सब देखिये मदहोस भेल
फेकलैं ई केहन तु जाल
गे गोड़िया मचतौ मुहल्ला बबाल

हिरणी सन चाल तु कुदैत चलैत छैं
स्वर्गो सँ उतरल जे अप्सरे लगैत छैं
छुटि जायत प्राणे आब आहे भरैत मे
नै कर तु प्रेमी हलाल
गे गोड़िया मचतौ मोहल्ला बबाल
       ~~~✍अदिति झा~~~

कोई टिप्पणी नहीं