अभियानी सह संचारकर्मी पथिक केँ राष्ट्रपतिक हाथ सँ सम्मान
काठमांडु, नेपाल। सितम्बर २२, २०१६. अपन मिथिला!!

मैथिली भाषाक संग-संग मिथिला संस्कृतिक सरक्षण प्रति सदैव सजग रहनिहार अग्रदूत आर स्वयं एक सजग संचारकर्मी श्याम सुन्दर यादव ‘पथिक’ केँ प्रेस काउन्सिल युवा सशक्तिकरण पुरस्कार सँ पुरस्कृत कैल गेल अछि। आइ नेपालक महामहिम राष्ट्रपति विद्या भंडारीक हाथ सँ ई पुरस्कार एक समारोह मे पथिक ग्रहण केलैन अछि। सम्पूर्ण मीडिया जगत् मे श्यामजीक एहि सम्मान सँ हर्षक माहौल अछि। हुनका सब कियो बधाई एवं शुभकामना प्रदान कय रहला अछि। मैथिली जिन्दाबाद आ अपन मिथिला केर तरफ सँ सेहो हार्दिक शुभकामना, संगहि प्रेस काउन्सिल केँ सेहो आभार जे एकटा मेहनती, लगनशील आ समर्पित संचारकर्मी केँ उपरोक्त सम्मान प्रदान कएलनि अछि।
मैथिली व मिथिलाक सेवा कदापि निष्फल नहि जाएत अछि आर पथिकजी एकर नीक उदाहरण छथि। हुनका एखन धरि दर्जनों पुरस्कार आ सम्मान भेट चुकल अछि। हम सब हुनका पाबिकय धन्य-धन्य छी।
साभार ,मैथिलीजिन्दवा !!
कोई टिप्पणी नहीं