किया जाइग रहल अछि ओ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

किया जाइग रहल अछि ओ

आहट सs अनहरियोमे  लाइग रहल अछी ओ
गाम भेलै सुनसान किया जाइग रहल  अछी  ओ
.
हम छोइर चलैछी जं अपना संग अपनो के
डेग-डेग पs पाथर सs दाइग रहल अछी ओ
.
चलैत हम अपना मन्जिल पs ओ मन्जिल पs
दुनिया रोके लाख संग भाइग रहल अछी ओ
.
देखैत अपना एनामे जं नही अपनाके देखि
भ्रममे नयनके दोष स्नेह माइग रहल अछि ओ
.
कतौ बर्फो सs ठण्डा मोनमे बरैत  रहली ओ
आखिरमे बुइझ गेलौ आइग रहल अछी  ओ

✍अब्दुर रज्जाक

कोई टिप्पणी नहीं