पिया गेल हमरा छोइड परदेस
पता नै किय हमर पिया हमरा छोइड बिदेश चैल गेल ।
हमर यि मस्त जवानी बुढापामे परिणत भ गेल ।।
स टा बात स टा गाइर सुनैत सुनैत कान दुखी गेल ।
साउस नन्दके माइर खाइत खाइत दिन बित गेल ।।
पियाके आशमे बैठल बैठल हमर नयन थाकी गेल ।
बाल बच्चा बाबू बाबू कहैत कहैत कनैत सुति गेल ।।
छोट नान बच्चा छोइड पैसा कमब बिदेश चैल गेल।
वो हमरा जिन्दगी भरके दुख द बहुत दुर चैल गेल ।।
गाम सामाजक लोग सब कु दृस्ठिसे देखैत रैह गेल ।
मोनमे डर त्रासस भैर हमर करेजा फाईट गेल ।।
कतेक आशमे बैठल रहब वो असगर छोइड चैल गेल ।
आशे आशमे बैठल बैठल भरल जवानी जवानिये रहि गेल ।।
✍बिनोद मेहता ,
भोक्राहा सुन्सरी
हाल (बिराटनगर मोरङ)
कोई टिप्पणी नहीं