मैथिलि लोरी गीत - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

मैथिलि लोरी गीत

🌷🌷मैथिलि लोरी गीत🌷🌷



गामक  गीत  गवैछी  गामक  लोरिया
देख्यौ बौव्वाबुच्ची निक्लैछै इजोरिया !!

सुतियौ यौ बौव्वा सुतियौ यौ  गुरिया
राइत      बितल      एक       पहरिया !!
सुतलै      पन्छी     सुतलै     नगरिया
सुतलै      तितली       सुतलै    ततैया !!

चन्दारानी    अब्यौ    दूधलावा   लक
बुच्ची क खियब्यौ   गोदीमे   बैसा क !!
चन्दारानी अब्यौ  बौव्वा क  खेलब्यौ
झुला   झुला क    बौव्वा क   सुतब्यौ !!

गामक  गीत  गवैछी  गामक  लोरिया
देख्यौ बौव्वाबुच्ची निक्लैछै इजोरिया !!

गीतकार -: Md Aiyub Rain
राजविराज,

कोई टिप्पणी नहीं