बच्चा सुताबै केर "लोरी"
¤¤लोरी¤¤
卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐卐
कननी खिजनी बंद करै तू सुति रहैऽ बौआ
आब जे कनबैंऽ काँव काँव कऽ कान लेतौ कौआ
हेरौ कननी खिजनी बंद करै तू सुति रहैऽ बौआ
हमर बौआ बड दुलारु भुटबा छौरा ढहलेल
आनि देब हम सेउ संतरा आम लताम आ बेल
एहि बेर मेला देखय लेल हम बीस देबौ ढौआ
हेरौ कननी खिजनी बंद करै तू सुति रहैऽ बौआ
नानी गाम लऽ जायब बौआ आओर धुमब दरिभंगा
जूता टोपी कीनि देब हम आओर पेंट आ अंगा
बौआ चुप रहू सुनियौ वजै अछि जंगल मे परौआ
हेरौ कननी खिजनी बंद करै तू सुति रहैऽ बौआ
✍अदिति झा

कोई टिप्पणी नहीं