सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजा केँ उपलक्ष्य म' मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर आर स्वेच्छादान - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजा केँ उपलक्ष्य म' मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर आर स्वेच्छादान

सुच्चा मैथिल द्वारा विश्वकर्मा पूजा केँ उपलक्ष्य म' मुफ्त स्वास्थ्य जाँच शिविर आर स्वेच्छादान

दिनांक 17 सितम्बर 2016 क' मुम्बई सँ सटल उपनगर नालासोपारा पूर्व स्थित सन्तोसभुवन म'  "सुच्चा मैथिल" संस्था द्वारा शिल्पकार भगवान विश्वकर्मा केँ तृतिय पूजनोत्सवक उपलक्ष्य म' फ्री हेल्थ चेकअप कैंप केर  आयोजन कायल गेल जाहि म' भारी संख्या म' लोग सभ मुफ्त म' अप्पन  स्वास्थ्य जाँच करौलनि। संगहि सन्ध्या काल म' डायरेक्टर मुरलीधर केर टीम द्वारा "मुरलीधर नाइट" सांस्कृतिक कार्यक्रम प्रस्तुत कायल गेल जे  समाजसेवी श्री ललन चौधरी उर्फ़ ललन दरभंगावाला क' समर्पित छल।



एहि कार्यक्रम केर माध्यम सँ डायरेक्टर मुरलीधर सहित गायक विनोद गुआर, परमानंद शर्मा, संजय झा एवं लवकिशन श्री ललन चौधरी केँ किडनी प्रत्यारोपण लेल धन जुटेबाक लेल सभ मैथिल लोकनि क'  स्वेच्छादान करबाक लेल निहोरा केलनि। एहि कार्यक्रमक माध्यम सँ श्री ललन चौधरी केर मदद करबाक लेल बहुत रास मैथिल आगू आबैत यथा संभव आर्थिक मदद करबाक घोषणा केलनि। वसई-विरार महानगर पालिका के उपमहापौर श्री उमेश नाइक कार्यक्रम म' पहुँच श्री ललन चौधरी लेल हरसंभव मदद करबाक आश्वासन देलनि संगहि दर्शक सभ क' मदद करबाक सेहो अनुरोध केलनि।

अपने क' बता दी कि "सुच्चा मैथिल" मिथिलाक संस्कृति केँ रक्षार्थ लेल बनाओल गेल एक सामाजिक संगठन थीक, जाहि केँ द्वारा सामाजिक काजक संगे संग लोग सभ क' मैया जानकी केँ जन्म स्थली मिथिलाक संस्कृति सँ अवगत कराओल जायत अछि। सुच्चा मैथिल संगठन केँ वरिष्ठ सदस्य रामनरेश शर्मा, मदन शर्मा, मिथिलेश शर्मा, राजकुमार विश्वकर्मा, चन्दन शर्मा, प्रकाश कमती, सुशील मंडल, दीपक शर्मा, अशोक साहू, विजय शर्मा, विजय महतो, संतोष शर्मा, लालबाबू शर्मा, दिगम्बर शर्मा आर आन बहुत रास सदस्य भविष्य म' मानव हितार्थ एहि तरहक काज  करबाक प्रतिबद्धता दोहरेलनि।
::-अनुवाद मिथिला दैनिक वेबसाइट सँ कॉपी  अछि


कोई टिप्पणी नहीं