मधेशमें एमपिएलके बहुत जोर-सोर सँ तयारि
मधेश में एमपिएलके बहुत जोर-सोर सँ तयारि
✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, असोज । ‘हम किसी से कम नही’ ई नाराकेसाथ जनकपुर आ राजविराजमें आयोजना हुवलगल मधेश प्रिमियर लिग (एमपिएल) टि–ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके तयारी बहुत जोर सोर रुपमें भरहल आयोजक जानकारी देलक।
मधेशी इन्जिनियर स्टुडेन्ट यूनियनके आयोजना आ अन्तराष्ट्रिय मधेशी सङ्गठनके सहयोगमें कार्तिक २ गतेसँ उ प्रतियोगिता आयोजना होइवाला अछि । मधेशके प्रमुख दुई शहरमें आयोजना हुवा लागल प्रतियोगिताके तयारी बहुत जोर सोर सँ भरहल आयोजक युनियनके संयोजक सञ्जीवनारायण यादव जी जानकारी देने अछि।
हुनकर अनुसार खेलके शुरुवत जनकपुरसँ आ फाइनल खेल राजविराजमें हेत। एमपिएल टुर्नामेन्ट प्रतियोगितामें मधेशके सप्तरी, सिरहा, महोत्तरी, धनुषा, मोरङ्ग, सुनसरी, नवलपरासी, सर्लाही ईसब जिल्लाके सबसे चर्चित टिमसब के सहभागिता रहत सचिव तीर्थनारायण दास जी जानकारी देने अछि। एमपिएलके लोगोसहितके भेस्टसेहो हाल सार्वजनिक केने अछि ।
प्रतियोगितामें प्रथम हुवेवाला टिमके एक लाख एक हजार, उप विजेता टिमके रु ५१ हजार, म्यान अफ द सिरिजके एलइडी टेलिभिजन, बेस्ट बलर आ व्याटसम्यानके साइकल देल जेत से जानकारी देने अछि । प्रतियोगिताके सफल बनाबैले अपन- अपन ठाम से सहयोग कर सब पक्ष सँ मधेशी इन्जिनियर स्टुडेन्ट यूनियन आग्रह केने अछि ।
मधेशमें खेलाडि उत्पादन आ व्यवसायिक खेलाडि तयार करै के आ अन्तराष्ट्रिय जगतमें मधेश टिमसँ सहभागी करैके लक्ष्यकेसाथ प्रतियोगिता आयोजना केने उ बतोलक । एहीसे पहिलेके संस्करण राजविराजके पब्लिक विन्देश्वरी उच्च माध्यमिक विद्यालयके खेल मैदानमें आयोजना केने छेल ।

कोई टिप्पणी नहीं