हमरे जेना ओहो नोर , पोछैत हेतै
नोरेसँ आँखिक कजरा, धोबैत हेतै
याद अबै हेतै जेना,सताबै हमरा
ओहो हमरा यादमे , तडपैत हेतै
चिठी देखैत हेतै जखन उ हमर,
सुगा जेना ओहो मन ,घुटकैत हेतै
घुटैक- घुटैक कऽ दिन बिताबी हम,
फोटो हमर उ देख, सिसकैत हेतै
हरेक शब्दमे खोजै छी ओकरे हम,
तहिना उ हमर बाट, जोहैत हेतै
✍रामसोगारथ यादव
कोई टिप्पणी नहीं