हमर सपना टुटलै ना
हमर सपना टुटलै ना !!
सपनामे देखलहुँ प्रियतम
आबि गेलथि गाम
आहेराम आबि गेलथि गाम
अचके निन्न फुजलै ना
रामा सुन्न रे ओछौना
हमर सपना टुटलै ना !
दिवस शिथिल भेल राति कठुएलै
आहेराम राति कठुएलै
ओ सेहो ने कटलै ना
रामा भोर भेल नेपत्ता
सुरूज कऽतऽ सटलै ना !
कऽतऽ ओ बसथि दूरदेश
केलनि कोन धारण वेश
कऽतऽ ओ बसथि दूरदेश
कोन रूप धरलनि आहेराम
कोन रूप धरलनि
दरसँ सपना भेलै ना
रामा विरहके रातिटा
आब अपना भेलै ना !
आबि जाऊ हे शिव
राखब हम आब सेवि
आबि जाऊ हे शिव
गेह नेह उजड़लै आहेराम
गेह नेह उजड़लै
सगरो पिपरी फड़लै ना
आशकऽ डगरि अलोपित
ओ तऽ अपने भखड़लै ना !!
आबि गेलथि गाम
आहेराम आबि गेलथि गाम
अचके निन्न फुजलै ना
रामा सुन्न रे ओछौना
हमर सपना टुटलै ना !
दिवस शिथिल भेल राति कठुएलै
आहेराम राति कठुएलै
ओ सेहो ने कटलै ना
रामा भोर भेल नेपत्ता
सुरूज कऽतऽ सटलै ना !
कऽतऽ ओ बसथि दूरदेश
केलनि कोन धारण वेश
कऽतऽ ओ बसथि दूरदेश
कोन रूप धरलनि आहेराम
कोन रूप धरलनि
दरसँ सपना भेलै ना
रामा विरहके रातिटा
आब अपना भेलै ना !
आबि जाऊ हे शिव
राखब हम आब सेवि
आबि जाऊ हे शिव
गेह नेह उजड़लै आहेराम
गेह नेह उजड़लै
सगरो पिपरी फड़लै ना
आशकऽ डगरि अलोपित
ओ तऽ अपने भखड़लै ना !!

कोई टिप्पणी नहीं