चौरचन बिशेष रचना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

चौरचन बिशेष रचना

देखु   उतैर   अंगना   हमर   चान   एलैन्
चिकनिक चौर लगाउल देख मुस्कान देलैन्

पुत्र सहित पतिलेल दही भरल मटकुरी दक
एक टाङ्गपर खडा माँ कमिक छामा मागलैन्

कलसमे पलुवा सँग  गमकैत पकमान देख
सरापित चन्दा पहिले गणेशक नाम जपलैन्

उपासल कन्या  जल  उछरैङ्ग हांथ उठाक
नै   लगै   लोकक   कलङ्क   वर्दान मगलैन्

बाबा    धिया    पुता सँग   मरर  भाईङ्गक
खीर   पुरी    दही    सँग    लताम   खेलैन् 

    ~~ 💘आनन्द राम💘
गाऊँ:-बर्छवा ९ सिस्वनी

कोई टिप्पणी नहीं