दुर्घटनामें एम्बुलेन्स ड्राबर आ बीमारी के मौत , ४ घायल - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

दुर्घटनामें एम्बुलेन्स ड्राबर आ बीमारी के मौत , ४ घायल

विराटनगर भदौ १९ गते । सुनसरीके सिमरियामें सैनदिन राईत एम्बुलेन्स आ ट्याक्टर दुनु  ठोकला स्  दुई गोटे के मौत भेल अछि ।

इनरुवा–दुहवी सकडके सिमरिया–२ में दुहवी सँ इनरुवा दीस जारहल  को१त १८९ नंके ट्याक्टर आ सिरहाके गोलबजार सँ विराटनगर बिमारीलके जारहल  स१च ८९४ नंबर के एम्बुलेन्स एकआपसमें ठोइके दुर्घटना भेल प्रहरी जानकारी करेलक ।

दुर्घटनामें एम्बुलेन्सके ड्राइबर सिरहा गोलबजार–१ निवासी २७ वर्षीय आनन्द श्रेष्ठ  आ बिरामी सिरहा–१० के ३० वर्षीके सरोज यादवके घटनास्थलमें मौत भेल प्रहरी जानकारी देलक। उ दुर्घटनामें एम्बुलेन्समें बैसल सन्तोष यादव, शिवगणेश यादव, सञ्जित यादव, पपु यादव ईसब चाइर गोटे गम्भीर चोट लैगके घायल भेल अछि ।
घायलसब के विराटनगरके न्यूरो अस्पतालमें इलाज भरहल  इलाका प्रहरी कार्यालय दुहवीके प्रहरी निरीक्षक शिवकुमार पोखरेल जानकारी देलक । मृतकके शवपरीक्षणके लेल  जिल्ला अस्पताल इनरुवामें राखने अछि।
(फाइल फोटो)

✍अशोक कुमार साहनी

कोई टिप्पणी नहीं