बीहनि कथा अनंत चतुर्दशी - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बीहनि कथा अनंत चतुर्दशी

💐 बीहनि कथा
                       🙏 अनंत चतुर्दशी

~ कि हउ बच्चा भोरहि -भोर सजल डाली मे कथि कतय नेने जाइत छऽ ?
~ से अहाँ के नहि बुझल अछि से ?

~ कि नहि हमरा बुझल अछि ? आ सब गप हमरा बुझले रहत कि हम जमुद्री शास्त्रक ज्ञाता रहि जहिना !
~ हयउ आय अनंत चतुर्दशी छियै ने !

~ त कि भेलय ? एहि दिन कऽ लोक डालि लऽ भेल फिरै छय कि ?
~ अरे नहि ! लोक डालि लऽ कऽ किआ फिरतहि ?

~ तखन तूं किआ लेने फिरैत छऽ ?
~ यउ एहि डाली मे अनंत भगवान छथिन आ हुनक प्रसाद छैन्ह !

~ ऐंऽ हउ नाम छियैन्ह अनंत आ तोरा डालि मे कोना समटायल छथुन ? सेहो भोजनक संग कि हुनाक तों कैद कऽ धेने छऽ ! एहि अनंत'क कोन अर्थ ? भगवान सेहो कहैत छऽ तखन - - -
~ ओह ! एहि मे अनंतक डोरा लेने छियैन्ह ! हे देख लियहु - - -

~ आहिरेवा तों तऽ आर हद्द केलह ! अनंत'क डोरा सेहो एतनी टा कऽ ?
~ जाय दियऽ अहाँ संग के लागत ? नास्तिक  लोक छि अहाँ ?
~ जाहऽ उचित गप बजलहु तऽ नास्तिक भऽ गेलहु !

✍ वी०सी०झा"बमबम"
                                 कैथिनियाँ

कोई टिप्पणी नहीं