अनन्त चतुर्दशीके अवसरमें शिवमन्दीर सबमे भक्तसबके भिड़ - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

अनन्त चतुर्दशीके अवसरमें शिवमन्दीर सबमे भक्तसबके भिड़

अनन्त चतुर्दशीके अवसरमें शिवमन्दीर सबमे भक्तसबके भिड़

✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला, ३० गते भदौ । अनन्त चतुर्दशीके अवसरमें आईं सिरहा के लहान आ पूरा देशके सब शिवामन्दिरसबमे भोरे सँ जल चढ़ाबैले आ पूजा पाठ करैले श्रद्धालुभक्तजनसब के भीड़ लागल छेल ।




और राजविराजमें में सेहो भीड़ छेल हरिनन्देश्वर महादेव, शम्भुनाथ नगरपालिकाके शम्भुनाथ मन्दिर, बलुवाके भजनेश्वर महादेव मन्दिर, महदेवाके अंकुरी महादेव मन्दिर, लालापट्टीके लालेश्वरनाथ मन्दिर, धरमपुरके धर्मेश्वर महादेव ,मन्दीर सब में हज्जारौं भक्तजनसब जल आ पूजा पाठ केने छेल । कोसी व्यारेजसँ काँवरमें जल भोईर के शिब मन्दिर सबमें चढ़ेने छेल ।

अनन्त चतुर्दशी सँ एकदिन अगाडी  सप्तकोशी पूगल भक्तजनसब आधा  राइत में काँवरमें जल उठा के शिवामन्दीर सबमे पुगल छेल। भक्तजनसब जल चढ़ाबैले आ दर्शनकेलेल लाईन लगाके मन्दिर गेल छेल साथ में सुरक्षाके लेल जरूरी सुरक्षाकर्मी सेहो खटाल छेल ।


महदेवा , अंकुरी महादेव मन्दिरमें करिब दश हजारसँ बेशी भक्तजनसब जल चढ़ेलेक ओतके युवा ब्रहम्देव ईशर जी जानकारी देने अछि। ओकर अनुसार मन्दिर भक्तजनसबके सुविधालेल युवा स्वयंसेवक खटाल आ निःशुल्क स्वास्थ्य शिविरसेहो रखने छेल  ।

एहने जिल्लाके बहुत नाम चलल लालेश्वरनाथ महादेव मन्दिरमें करिब पाँच हजार काँवरियालसब जलचढ़ेलेक । २०६१ सालसँ उ मन्दिरमें युवा सशक्तिकरण संघ लालापट्टीके अध्यक्ष किशोर कुमार यादव केसीके नेतृत्वमें स्थानीय युवासबके विशेष सक्रियतामें जलचढ़ाबै के परम्पराके शुरुवात केने छेल । मन्दिर प्रगणमे बहुत किसम के धार्मिक अनुष्ठानकासाथ में रामायण पाठसेहो आयोजना केने छेल से उ जानकारी देलक ।

✍अशोक कुमार सहनी

कोई टिप्पणी नहीं