बदलैत गाम-घर - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

बदलैत गाम-घर

बदलैत गाम-घर





गाम - घर आब सेहो बदलि रहल छहि !
लोक'क जिनगी अजबे चलि रहल छहि !!

गामहुं मे भोर आब नऽ बजे धरि भऽ रहल छहि !
दिनुका सूर्य राति दस बजे तक चलि रहल छहि !!

व्यस्तता मे एतय सबकें सब बिसरि रहल छहि !
सब ठाम ओहय उलटे चालि चलि रहल छहि !!

प्रणाम नमस्ते संऽ अभिवादन नहि चलि रहल छहि !
हाय बाय हेल्लो कय सबटा आब निंमहि रहल छहि !!

कक्का बाबा बाबू माय'क शब्द बिला रहल छहि !
अंकल बंकल डैड मॉम'क परंपरा चलि रहल छहि !!

✍ वी०सी०झा"बमबम"
कैथिनियाँ

कोई टिप्पणी नहीं