खलासी बस चलाबै छेल तब बस भेल दुर्घटना - अप्पन मिथिला -Appanmithila is Maithili Portal for News ,Articles and Entertainment

Breaking News

खलासी बस चलाबै छेल तब बस भेल दुर्घटना

खलासी बस चलाबै छेल तब बस भेल दुर्घटना



✍अशोक कुमार सहनी
अपन मिथिला , लहान असोज १२ - आय भोर करिब ५ बजे सिरहाके लहानमें बिराटनगर लहान गाईघाट चलैवाल ना . ४ ख ३६२० नम्बर भेल नरसिंह ट्राभल्स अनिय्नत्रित भके पशुपति आदर्श उच्च माविके बाउंड्री देल देबालमें ठोइके दुर्घटना भेल अछि I प्रहरीके अनुसार बस लहान नगरपालिकाके बस्तीपुर सँ लहानके बस पार्कमें आइबरहल छेल I बसके इसपीड बहूत होइके  कारण अनियन्त्रित भके दुर्घटना भेल अछि i बसमें यात्री नै रहल कारण से कोनो आदमी के कुछ नै भेल अछि i

 मुदा पशुपति आदर्श उच्च माविके देबाल पूरा रुपमें क्षति भेल अछिi बसके खलासी चलाइरह  माविके पिल्ड में भोरे घुम एल आदमीसब जानकारी देलक i घुम ऐल सर्वसधारणके अनुसार बसके इस्पीड यतेक छेल की देबाल आ गाछ नै  रोकतै त यत घूम ऐल आदमी दुर्घटनामें परै के सम्भवबना छेल i हम सब पिल्ड में घुइम रहल टाइम में अचानक जोरसे आवाज ऐल सबकोई  बहुत जोर से डेरागेली ओत ऐल आदमी सब कहलक i बसके चालकके लापरवाहीके कारण ई घटना भेल बतोलक i बसके खलासीके बस चलाब देलक तब् सवारी दुर्घटना बैढ़रहल ओत रहल आदमी सबके शिकायत अछि i एहने लापरवाही करैवाल आदमी सबके कडा से कडा सजाय होइके चाही से में जोड देने छेलi बसके खलासी भाइग गेल अछि दुर्घटनाके अनुसन्धान भरहल प्रहरी जानकारी देलक i बसके अगाडिके भाग पूरा रूप से खराब भगेल अछि i

फोटो , साभार madhshspecial.com  सँ

कोई टिप्पणी नहीं